



शुभकामना संदेश
मणिकांत झा,
दरभंगा, १९-७-२२
————–
मिथिलाक आंगन मे
सिंहवारक प्रांगण मे
भेलय आइ दीयमान,
देशज टाइम्सक विहान।
- Advertisement -
बीस लाख पाठकक विश्वास रखने
हम तँ कतहु नहि देखने ने सुनने
चारू दिश भेल गुणगान
देशज टाइम्सक विहान।
- Advertisement -
चारिए बरिस के ई अबोध बच्चा
शंकर पथ पर चलल बनि सच्चा
अपूर्णे पंचमे प्रमाण
देशज टाइम्सक विहान।
- Advertisement -
मनोरंजन ठाकुरक कलमक कमाले
मिथिला समाज लेल लेसल मशाले
जानय से सगरे जहान
देशज टाइम्सक विहान।
मंच विराजथि कौशल किशोरे
कृष्णनंदन अमित संग गौरव मोरे
हीरा जी अतिथि समान
देशज टाइम्सक विहान।
पत्रकारक लागल एतय मेला
नीरज संजय सतीश जुमि गेला
संग संग बहुतक जुटान
देशज टाइम्सक विहान।
सब जन मिलि जुलि दी आशीषे
देशज होइत रहय एक सँ एकीसे
मणिकांतक छाती उतान
देशज टाइम्सक विहान।
-मणिकांत झा, दरभंगा, १९-७-२२
- Advertisement -




