back to top
⮜ शहर चुनें
फ़रवरी, 11, 2026
spot_img

अहाँ विनायक सिद्धिक दायक गणनायक विघ्नेष यौ…, हरितालिका तीज और गणेशोत्सव पर शिव नचारी, गणेशवंदना विशेष

Manikant Jha दरभंगा चुनाव ऑइकन पत्रकार/ कवि/ साहित्यकार/ गंगोत्री-रामेश्वरम-पदयात्रा १०५म दिन (नागाची, रामनाथ पुरम, तमिलनाडु से)

spot_img
- Advertisement - Advertisement

णेश वंदना
अहाँ विनायक सिद्धिक दायक गणनायक विघ्नेष यौ

अहाँ विनायक सिद्धिक दायक गणनायक विघ्नेष यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।

- Advertisement -

ऋद्धि सिद्धि सब संग रहय छथि शुभ-लाभ सदिखन झोड़ी
केहनो बिगरल काज किए नहि छन्नहि मे तकरा जोड़ी
भक्तक उपर सदा रहैए अपनेक कृपा विशेष यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।

- Advertisement -

बुद्धिक दाता भाग्य विधाता मंगलमूर्ति नाम अनेक
थिकहुँ गजानन हे लंबोदर मूसक वाहन रखने एक
तिरपेक्षण कयने छी अहाँ गौरी संग महेश यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।

- Advertisement -
यह भी पढ़ें:  Darbhanga News: हायाघाट को मिलेगी नई सौगात, DM ने प्रखंड कार्यालय के नए भवन निर्माण का किया निरीक्षण, दिए कड़े निर्देश

हमहूँ सब अपनहि के सेवक राखब कनिए तकरो ध्यान
आशीषक अभिलाषी गणपति और ने चाही किछुओ आन
मणिकांतक विनती के सुनबय कयने कृपा विशेष यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।


नचारी

शिवक दुअरिया एतय नजरिया बढ़ि रहलय से आश छै…

शिवक दुअरिया एतय नजरिया बढ़ि रहलय से आश छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।
डेगे डेगे दूरी कमय कमि रहलय पूजा के दिन
बाबा भेटता सोचि सोचि कय हेरा गेल अछि आँखिक निन
क्षीर सागर लग सटले सुनल शिवशंकर के बास छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।

विकट बाट रस्ता सुढ़ियाबथि अपनहि सँ औढरदानी
बेर बेगरता सबटा बूझथि सद्यह ई अंतर्यामी
क्षण क्षण पल पल ध्यान रखय छथि कोन हाल मे दास छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।

हिनकर महिमा के नहि जानय बहुतो के केलन्हि सनाथ
अपनहि मुँहे बाजि गेल छथि रामचरित देखू रघुनाथ
मणिकांत सेहो आशीषक हित बनल आइ खबास छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।

यह भी पढ़ें:  Motihari Road Accident: जिंदगी के जश्न में मौत का साया... शादी की खुशियों में मातम...स्कॉर्पियो पेड़ से टकराई, 3 की मौत

महेशवाणी
रहि रहि देखय छी सपना महादेव

रहि रहि देखय छी सपना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना
ढोल मृदंग सब बाजय सदाशिव
बाजैए डामरु बजना।

द्वार देखल हम ठाढ़ कपाली
भूत परेत बजाबय ताली
बिढ़नी पचोहिया दिवाना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना।

माथे शोभय छथि दुतिया चंदा
गरदनि मे अछि नागक फंदा
साँपक छाड़ल गहना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना।

यह भी पढ़ें:  Darbhanga Cricket Tournament: काजी बहेरा ने फाइनल में गोरहौल शरीफ को चटाई धूल, राशिद के हरफनमौला प्रदर्शन से ट्रॉफी पर किया कब्जा

आशुतोष छी औढरदानी
कृपा करु हर शिव शूलपाणी
मणिकांत बम-बम रटना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना।

मणिकांत झा,
दरभंगा, १६-९-२३
गंगोत्री-रामेश्वरम-पदयात्रा
१०५म दिन
(नागाची, रामनाथ पुरम, तमिलनाडु)

- Advertisement -

जरूर पढ़ें

कनाडा के इस खिलाड़ी का भारत से गहरा नाता, द्रविड़ हैं प्रेरणास्रोत

Shreyas Movva: भारतीय क्रिकेट प्रशंसकों के दिलों में खास जगह बनाने वाले कई प्रवासी...

Madhubani News: 12 हजार की घूस लेते रंगे हाथ धराया सरकारी बाबू, पटना से आई टीम ने दबोचा

Madhubani News: भ्रष्टाचार की लंका में एक और विभीषण ने आग लगा दी, और...

Darbhanga News: निर्माणधीन नाली में गिरी छात्रा, इलाके में आक्रोश

सिंहवाड़ा। देऊरा-बंधौली पंचायत में निर्माणाधीन नाली में गिरने से एक छात्रा गंभीर रूप से...

Darbhanga News: सिंहवाड़ा में एडमिट कार्ड के लिए छात्रों का हंगामा

सिंहवाड़ा के महेशपट्टी गांव में स्थित एक स्कूल में एडमिट कार्ड वितरण को लेकर...
error: कॉपी नहीं, शेयर करें