मई,5,2024
spot_img

अहाँ विनायक सिद्धिक दायक गणनायक विघ्नेष यौ…, हरितालिका तीज और गणेशोत्सव पर शिव नचारी, गणेशवंदना विशेष

Manikant Jha दरभंगा चुनाव ऑइकन पत्रकार/ कवि/ साहित्यकार/ गंगोत्री-रामेश्वरम-पदयात्रा १०५म दिन (नागाची, रामनाथ पुरम, तमिलनाडु से)

spot_img
spot_img
spot_img

णेश वंदना
अहाँ विनायक सिद्धिक दायक गणनायक विघ्नेष यौ

अहाँ विनायक सिद्धिक दायक गणनायक विघ्नेष यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।

ऋद्धि सिद्धि सब संग रहय छथि शुभ-लाभ सदिखन झोड़ी
केहनो बिगरल काज किए नहि छन्नहि मे तकरा जोड़ी
भक्तक उपर सदा रहैए अपनेक कृपा विशेष यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।

बुद्धिक दाता भाग्य विधाता मंगलमूर्ति नाम अनेक
थिकहुँ गजानन हे लंबोदर मूसक वाहन रखने एक
तिरपेक्षण कयने छी अहाँ गौरी संग महेश यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।

यह भी पढ़ें:  Darbhanga PM Modi Live| दरभंगा "राज" से Madhubani, Jhanjharpur, Samastipur, Ujiarpur तक "मैदान" साध गए पीएम मोदी

हमहूँ सब अपनहि के सेवक राखब कनिए तकरो ध्यान
आशीषक अभिलाषी गणपति और ने चाही किछुओ आन
मणिकांतक विनती के सुनबय कयने कृपा विशेष यौ
मनकमना सब पूर करय छी हरियै सभक कलेश यौ।


नचारी

शिवक दुअरिया एतय नजरिया बढ़ि रहलय से आश छै…

शिवक दुअरिया एतय नजरिया बढ़ि रहलय से आश छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।
डेगे डेगे दूरी कमय कमि रहलय पूजा के दिन
बाबा भेटता सोचि सोचि कय हेरा गेल अछि आँखिक निन
क्षीर सागर लग सटले सुनल शिवशंकर के बास छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।

यह भी पढ़ें:  Vande Bharat Express Train | Jaynagar और Muzaffarpur से दिल्ली दौड़ेंगी Vande Bharat Express, दरभंगा के हिस्से में...?

विकट बाट रस्ता सुढ़ियाबथि अपनहि सँ औढरदानी
बेर बेगरता सबटा बूझथि सद्यह ई अंतर्यामी
क्षण क्षण पल पल ध्यान रखय छथि कोन हाल मे दास छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।

हिनकर महिमा के नहि जानय बहुतो के केलन्हि सनाथ
अपनहि मुँहे बाजि गेल छथि रामचरित देखू रघुनाथ
मणिकांत सेहो आशीषक हित बनल आइ खबास छै
दर्शन देथिन रामेश्वर शिव अटल हमर विश्वास छै।

महेशवाणी
रहि रहि देखय छी सपना महादेव

यह भी पढ़ें:  Railway News| Bihar News| विशेष किराए पर चलेंगी Summer Special Trains... यात्रियों कृपया ध्यान दें,Darbhanga, Madhubani, Samastipur के लिए चलेंगी स्पेशल ट्रेन, Sleeper Class और General Second Coach के साथ

रहि रहि देखय छी सपना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना
ढोल मृदंग सब बाजय सदाशिव
बाजैए डामरु बजना।

द्वार देखल हम ठाढ़ कपाली
भूत परेत बजाबय ताली
बिढ़नी पचोहिया दिवाना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना।

माथे शोभय छथि दुतिया चंदा
गरदनि मे अछि नागक फंदा
साँपक छाड़ल गहना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना।

आशुतोष छी औढरदानी
कृपा करु हर शिव शूलपाणी
मणिकांत बम-बम रटना महादेव
आयल छी अहाँक अंगना।

मणिकांत झा,
दरभंगा, १६-९-२३
गंगोत्री-रामेश्वरम-पदयात्रा
१०५म दिन
(नागाची, रामनाथ पुरम, तमिलनाडु)

ताज़ा खबरें

Editors Note

लेखक या संपादक की लिखित अनुमति के बिना पूर्ण या आंशिक रचनाओं का पुर्नप्रकाशन वर्जित है। लेखक के विचारों के साथ संपादक का सहमत या असहमत होना आवश्यक नहीं। सर्वाधिकार सुरक्षित। देशज टाइम्स में प्रकाशित रचनाओं में विचार लेखक के अपने हैं। देशज टाइम्स टीम का उनसे सहमत होना अनिवार्य नहीं है। कोई शिकायत, सुझाव या प्रतिक्रिया हो तो कृपया deshajtech2020@gmail.com पर लिखें।

- Advertisement -
- Advertisement -
error: कॉपी नहीं, शेयर करें